अभिनव कोमल सुन्दर पात...

अभिनव कोमल सुन्दर पात !
सगर कानन पहिरल पट रात !१!

मलय-पवन डोलय बहु भांति !
अपन कुसुम रसे अपनहि माति !२!

देखि-देखि माधव मन हुलसंत !
बिरिन्दावन भेल बेकत बसंत !३!

कोकिल बोलाम साहर भार !
मदन पाओल जग नव अधिकार !४!

पाइक मधुकर कर मधु पान !
भमि-भमि जोहय मानिनि-मान !५!

दिसि-दिसि से भमि विपिन निहारि !
रास बुझावय मुदित मुरारि !६!

भनइ विद्यापति ई रस गाव !
राधा-माधव अभिनव भाव !७!

1 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP