सजनी कान्ह कें कहब बुझाइ...

सजनी कान्ह कें कहब बुझाइ !
रोपि पेम बिज अंकुर मूड़ल बांढब कओने उपाइ !१!

तेल-बिन्दु दस पानि पसारिअ ऐरान तोर अनुराग !
सिकता जल जस छनहि सुखायल ऐसन तोर सोहाग !२!

कुल-कामिली छलौं कुलटा भय गेलौं तनिकर बचन लोभाइ !
अपेनहि करें हमें मूंड मूडाओल कान्ह सेआ पेम बढ़ाइ !३!

चोर रमनि जनि मने-मने रोइअ अम्बर बदन भपाइ !
दीपक लोभ सलभ जनि घायल से फल पाओल घाइ !४!

भनइ विद्यापति ई कलयुग रिति चिन्ता करइ न कोई !
अपन करम-दोष आपहि भोगइ जो जनमान्तर होइ !५!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP