माधव ई नहि उचित विचार...

माधव ई नहि उचित विचार !
जनिक एहनि धनि काम-कला सनि से किअ करु बेभिचार !१!

प्रनहु चाहि अधिक कय मानय हदयक हार समाने !
कोन परि जुगुति आनके ताकह की थिक तोहरे गेआने !२!

कृपिन पुरुषके केओ नहि निक कह जग भरि कर उपहासे !
निज धन अछइत नहि उपभोगब केवल परहिक आसे !३!

भनइ विद्यापति सुनु मथुरापति ई थिक अनुचित काज !
मांगि लायब बित से जदि हो नित अपन करब कोन काज !४!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP