सासु जरातुरि भेली...

सासु जरातुरि भेली, ननन्दि अछलि सेहो सासुर गेली !
तैसन न देखिअ कोई, रयनि जगाए सम्भासन होई !१!

एहि पुर एहे बेबहारे, काहुक केओ नहि करए पुछारे !
मोरि पिअतमकाँ कहबा, हमे एकसरि धनि कत दिन रहबा !२!

पथिक, कहब मोर कन्ता, हम सनि रमनि न तेज रसमन्ता !
भनइ विद्यापति गाबे, भमि-भमि विरहिनि पथुक बुझाबे !३!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP