देखु सखी दाइ माइ ठकलक बभना...

देखु सखी दाइ माइ ठकलक बभना !
आइ ठकलक बभना !१!

सुनैत छलियनि जस तिन भुवना !
आव सुनै छी घर नहिं अंगना !२!

भोला के माय नहिं बाप केउ छैन अपना !
गौरीके ननदि सासु दुनू सपना !३!

गौरी तप कैलनि राति दिना !
तिनका एहन वर देल बिधना !४!

भनहिं विद्यापति सुनू हे मैना !
प्राचत सदा शिव भरि अंगना !५!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP