कंटक माझ कुसुम परगास...

कंटक माझ कुसुम परगास !
भमर बिकल नहि पाबय पास !१!

भमरा भेल कुरय सब ठाम !
तोहि बिनु मालति नहिं बिसराम !२!

रसमति मालति पुनु पुनु देखि !
पिबय चाह मधु जीव उपेंखि !३!

ओ मधुजीवि तोहें मधुरासि !
सांधि धरसि मधु मने न लजासि !४!

अपने मने धनि बुझ अबगाही !
तोहर दूषन बध लागत काहि !५!

भनहि विद्यापति तओं पए जीव !
अधर सुधारस जओं परपीब !६!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP