जाइत देखलि नहायलि गोरी..
जाइत देखलि नहायलि गोरी !
कल सएँ रुप धनि आनल चोरी !१!
केस निगारहत बह जल धारा !
चमर गरय जनि मोतिम-हारा !२!
तीतल अलक-बदन अति शोभा !
अलि कुल कमल बेढल मधुलोभा !३!
नीर निरंजन लोचन राता !
सिंदुर मंडित जनि पंकज-पाता !४!
सजल चीर रह पयोधर-सीमा !
कनक-बेल जनि पडि गेल हीमा !५!
ओ नुकि करतहिं जाहि किय देहा !
अबहि छोडब मोहि तेजब नेहा !६!
एसन रस नहि होसब आरा !
इहे लागि रोइ गरम जलधारा !७!
विद्यापति कह सुनहु मुरारि !
वसन लागल भाव रुप निहारि !८!
कल सएँ रुप धनि आनल चोरी !१!
केस निगारहत बह जल धारा !
चमर गरय जनि मोतिम-हारा !२!
तीतल अलक-बदन अति शोभा !
अलि कुल कमल बेढल मधुलोभा !३!
नीर निरंजन लोचन राता !
सिंदुर मंडित जनि पंकज-पाता !४!
सजल चीर रह पयोधर-सीमा !
कनक-बेल जनि पडि गेल हीमा !५!
ओ नुकि करतहिं जाहि किय देहा !
अबहि छोडब मोहि तेजब नेहा !६!
एसन रस नहि होसब आरा !
इहे लागि रोइ गरम जलधारा !७!
विद्यापति कह सुनहु मुरारि !
वसन लागल भाव रुप निहारि !८!
0 एक टिप्पणी दिअ।:
एक टिप्पणी भेजें