अभिनव कोमल सुन्दर पात...
अभिनव कोमल सुन्दर पात !
सगर कानन पहिरल पट रात !१!
मलय-पवन डोलय बहु भांति !
अपन कुसुम रसे अपनहि माति !२!
देखि-देखि माधव मन हुलसंत !
बिरिन्दावन भेल बेकत बसंत !३!
कोकिल बोलाम साहर भार !
मदन पाओल जग नव अधिकार !४!
पाइक मधुकर कर मधु पान !
भमि-भमि जोहय मानिनि-मान !५!
दिसि-दिसि से भमि विपिन निहारि !
रास बुझावय मुदित मुरारि !६!
भनइ विद्यापति ई रस गाव !
राधा-माधव अभिनव भाव !७!
सगर कानन पहिरल पट रात !१!
मलय-पवन डोलय बहु भांति !
अपन कुसुम रसे अपनहि माति !२!
देखि-देखि माधव मन हुलसंत !
बिरिन्दावन भेल बेकत बसंत !३!
कोकिल बोलाम साहर भार !
मदन पाओल जग नव अधिकार !४!
पाइक मधुकर कर मधु पान !
भमि-भमि जोहय मानिनि-मान !५!
दिसि-दिसि से भमि विपिन निहारि !
रास बुझावय मुदित मुरारि !६!
भनइ विद्यापति ई रस गाव !
राधा-माधव अभिनव भाव !७!
4 एक टिप्पणी दिअ।:
For Maithili Films do visit this site, Maithili Movies
अभिभावक कोमल सुंदरता सवारी बन जाती फाइनल रात उपयुक्त पत्तियों का अर्थात संक्षिप्त टिप्पणी लिखें
Ti
Rahul Kumar
एक टिप्पणी भेजें