कुच-जुग अंकुर उतपत् भेल...

कुच-जुग अंकुर उतपत् भेल !
चरन-चपल गति लोचन लेल !१!

अब सब अन रह आँचर हाथ !
लाजे सखीजन न पूछय बात !२!

कि कहब माधव वयसक संधि !
हेरइत मानसिज मन रहु बंधि !३!

तइअओ काम हृदय अनुपाम !
रोपल कलस ऊँच कम ठाम !४!

सुनइत रस-कथा थापय चीत !
जइसे कुरंगिनि सुय संगीत !५!

सैसव जीवन उपजल बाद !
केओ नहि मानय जय अवसाद !६!

विद्यापति कौतुक बलिहारि !
सैसव से तनु छोडनहि पारि !७!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP