अभिनव पल्लव बइसंक देल...

अभिनव पल्लव बइसंक देल !
धवल कमल फुल पुरहर भेल !१!

करु मकरंद मन्दाकिनि पानि !
अरुन असोग दीप दहु आनि !२!

माह हे आजि दिवस पुनमन्त !
करिअ चुमाओन राय बसन्त !३!

संपुन सुधानिधि दधि भल भेल !
भगि-भगि भंगर हंकराय गेल !४!

केसु कुसुम सिन्दुर सम भास !
केतकि धुलि बिथरहु पटबास !५!

भनइ विद्यापति कवि कंठहार !
रस बझ सिवसिंह सिव अवतार !६!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP