उचित बसए मोर मनमथ चोर...

उचित बसए मोर मनमथ चोर !
चेरिआ बुढ़िआ करए अगोर !१!

बारह बरख अवधि कए गेल !
चारि बरख तन्हि गेलाँ भेल !२!

बास चाहैत होअ पथिकहु लाज !
सासु ननन्द नहि अछए समाज !३!

सात पाँच घर तन्हि सजि देल !
पिआ देसाँतर आँतर भेल !४!

पड़ेओस वास जोएनसत भेल !
थाने थाने अवयव सबे गेल !५!

नुकाबिअ तिमिरक सान्धि !
पड़उसिनि देअए फड़की बान्धि !६!

मोरा मन हे खनहि खन भाग !
गमन गोपब कत मनमथ जाग !७!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP