जखन लेल हरि कंचुअ अछोहि...

जखन लेल हरि कंचुअ अछोहि !
कत परि जुगुति कयलि अंग मोहि !१!

तखनुक कहिनी कहल न जाय !
लाजे सुमुखि धनि रसलि लजाय !२!

कर न मिझाय दूर दीप !
लाजे न मरय नारि कठजीव !३!

अंकम कठिन सहय के पार !
कोमल हृदय उखडि गेल हार !४!

भनह विद्यापति तखनुक झन !
कओन कहय सखि होयत बिहान !५!

0 एक टिप्पणी दिअ।:

एक टिप्पणी भेजें

  © Vidyapati Geet. All rights reserved. Blog Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP